दियाबाती यानी दिबाली मनेबाक मैथिली कंसेप्ट। Liveabhinash
(All copyrights are reserved via Liveabhinash) दियाबाती यानी दिबाली मनेबाक मैथिली कंसेप्ट : राजन झा हिन्दी सिनेमा, हिन्दी चैनल आ हिन्दी माध्यमक किताब पढ़ि बहुत रास मैथिली भाषी दियाबाती मनेबाक पाछू राम आ राबण बला कंसेप्ट लैत छै। यानी राबण पर रामक बिजय उपरान्त राम केँ अयोध्या घुरि एबाक कंसेप्ट। मुदा दिबाली मे मैथिल सभक रीति जेना यम दीप जराएब, हुक्का पाती खेलब (उक फेरब), दियाबाती केर भिनसर मे डगरा पीटब, अगिला दिन माल जाल केर चुमान करब राम बला कंसेप्ट सँ मेल नै खाइ छै। सच कही तऽ राम बला कंसेप्ट मूलतः बैष्णव कंसेप्ट छै। मिथिला शाक्त बहुल क्षेत्र रहबाक कारणसँ एतय ना दशमी यानी दुर्गपूजा मे राम छै ना दियाबाती मे राम छै। (Source : Wekipedia) मिथिला क्षेत्र मे दियाबाती शाक्त कंसेप्ट सँ मनाएल जाइ। मिथिला केर दियाबाती देवी कालीक जन्म लय नरकासुर नाओक राक्षस केर बध कय सौंसे जगत कल्याण करब पर छै। (Source : Redbubble, ABS orignals) नरकासुर राक्षस केर उत्पात सँ अपन परिजनक अकाल मृत्यु सँ बचाव लेल यम केर दीप जराएल जाइ छै पहिल दिन। आ दोसर दिन देवी काली द्वारा जन्म लय नरकासुर नाओक ...