Posts

Showing posts with the label मिथिला पावनि

नहाय खाय : छठि पूजाक पहिल पड़ाव. LiveAbhinash

Image
               बिहार, झारखंड आरू उत्तर प्रदेश केरऽ कीछ हिस्सा म बहुत उत्साह स मनाबै जाय वला पर्व छठ सूर्य देव आरू हुनकऽ पत्नी उषा, भोरक देवी केरऽ अनूठा स्तोत्र अछि। ई पावनि चारि दिनक होइत अछि, जाहि मे प्रत्येक दिन अलग-अलग संस्कार सँ चिन्हित होइत अछि आ पहिल दिन, जे नहाय खाय के नाम सँ जानल जाइत अछि, आकाशीय पिंडक एहि विस्तृत पूजाक मंच तैयार करैत अछि | नहाय खाय नहाय खाय, जकर अर्थ "स्नान क के खाउ" होइत अछि, छठ पूजाक उत्सवक पहिल दिन मनाओल जाइत अछि | भक्त, मुख्य रूप सं महिला, भोर सं पहिने जागि क नदी, पोखरि या अन्य जल निकाय मे संस्कारात्मक सफाई करैत अछि. ई संस्कार अगिला तीन दिन मे होबय बला पवित्र पूजा के तैयारी मे शरीर आ आत्मा दुनू के शुद्धि के प्रतीक अछि | आध्यात्मिक स्नान सूर्यक पहिल किरण जेना-जेना परिदृश्य केँ धीरे-धीरे रोशन करैत अछि, भक्त लोकनि शीतल, बहैत पानि मे डूबि जाइत छथि | ई संस्कार स्नान मात्र शारीरिक शुद्धि नहिं थिक; ई मन आ आत्मा के शुद्ध करय के प्रतीकात्मक क्रिया अछि | निश्चिंत परिवेश आ शुद्ध, बहैत जलक स्पर्श सँ उपासक...

दियाबाती यानी दिबाली मनेबाक मैथिली कंसेप्ट। Liveabhinash

Image
  (All copyrights are reserved via Liveabhinash) दियाबाती यानी दिबाली मनेबाक मैथिली कंसेप्ट :   राजन झा हिन्दी सिनेमा, हिन्दी चैनल आ हिन्दी माध्यमक किताब पढ़ि बहुत रास मैथिली भाषी दियाबाती मनेबाक पाछू राम आ राबण बला कंसेप्ट लैत छै। यानी राबण पर रामक बिजय उपरान्त राम केँ अयोध्या घुरि एबाक कंसेप्ट। मुदा दिबाली मे मैथिल सभक रीति जेना यम दीप जराएब, हुक्का पाती खेलब (उक फेरब), दियाबाती केर भिनसर मे डगरा पीटब, अगिला दिन माल जाल केर चुमान करब राम बला कंसेप्ट सँ मेल नै खाइ छै। सच कही तऽ राम बला कंसेप्ट मूलतः बैष्णव कंसेप्ट छै। मिथिला शाक्त बहुल क्षेत्र रहबाक कारणसँ एतय ना दशमी यानी दुर्गपूजा मे राम छै ना दियाबाती मे राम छै।  (Source : Wekipedia) मिथिला क्षेत्र मे दियाबाती शाक्त कंसेप्ट सँ मनाएल जाइ। मिथिला केर दियाबाती देवी कालीक जन्म लय नरकासुर नाओक राक्षस केर बध कय सौंसे  जगत कल्याण करब पर छै। (Source : Redbubble, ABS orignals) नरकासुर राक्षस केर उत्पात सँ अपन परिजनक अकाल मृत्यु सँ बचाव लेल यम केर दीप जराएल जाइ छै पहिल दिन। आ दोसर दिन देवी काली द्वारा जन्म लय नरकासुर नाओक ...

हिन्दू नव वर्ष | 2070

Image
           Ankit Kumar Roy : हिन्दू नव वर्ष जेकरा "विक्रम संवत" के नाम स सेहो जानल जाएय छै, भारत आरू दुनियाक अन्य भाग म हिन्दू समुदाय द्वारा बहुत उत्साह आरू हर्षक साथ मनाबल जाएत अछि । हिन्दू कैलेंडर चन्द्र चक्रक पालन करैत चि, जेकर मतलब अछि जे हर सालक शुरुआत निश्चित नै होय छै बल्कि साल दर साल अलग अलग होएत छैक । हिन्दू चन्द्र पंचांगक अनुसार चैत्र मासक पहिल दिन नव वर्ष शुरू होइत अछि, जे प्रायः मार्चक अंत या अप्रैलक प्रारंभ म होइत अछि । हिन्दू नव वर्ष नव शुरुआत आ नव शुरुआत के समय अछि, कियाक त लोक आशावाद आ आशाक संग आगामी सालक इंतजार करैत छथि। ई पारिवारिक जुटान, उत्सव, आ धार्मिक अनुष्ठानक समय छै । ई दिन संस्कार, प्रार्थना, आरू उत्सवक साथ मनाबल जाएत चि, जे क्षेत्रक क्षेत्र आरू समुदायक अनुसार अलग अलग होएत अछि । हिन्दू नव वर्षक एगो महत्वपूर्ण उत्सव महाराष्ट्र राज्य म होय छै, जहां एकरा "गुड़ी पदवा" के नाम स जानल जाएत अछि । एहि दिन लोक घरक बाहर बाँसक खंभा पर "गुड़ी" झंडा जे फूल सँ सजल चमकैत पीयर वा केसरक कपड़ा होइत अछि, फहरबैत छथि । ई झंडा आबै वाला सालक लेल शुभक...

सत्यदेवक कथा / खट्टर कका कs तरंग / ( हरिमोहन झा ) / Liveankit

Image
खट्टर कका भांगक हेतु सौफ-मरीच बिछैत रहथि । हम कहलिऎन्ह - खट्टर कका ! पूजाक हॅंकार देने जाइ छी । ख०- कथी क पूजा ? हम - आइ हमरा ओहि ठाम सत्यदेव क पूजा छैन्ह । ख०- सत्ते ? हम - सत्य नहिं त फूसि ? हमरा मूॅंह तकैत देखि खट्टर कका बजलाह - परन्तु हौ जी, हमरा त संदेह होइ अछि जे सत्य क नाम पर कतहु असत्य ``````` हम बात कटैत कहलिऎन्ह - खट्टर कका , सत्यनारयण महाराज क बिषय में हॅंसियो सॅं एहन बात नहिं बाजक चाही, नहि त`````` ख० – नहिं त ओ रुष्ट भऽ कऽ अनिष्ट कऽ देताह। जेना महाजन कैं बन्हबा देलथिन्ह । सैह ने ? यदि ओ सरिपों एहन दुष्ट होथि त फेर नर और नारायण में अन्तर की ? हम - परन्तु जे हुनक पूजा करैत छैन्ह तकरा फलो त दैते छथिन्ह । ख० - तखन ई कहह जे खुशामदी छथि । जे हुनक दरबार करतैन्ह तकर उपकार करथिन्ह । जे नहि करतैन्ह करतैन्ह तकरा कुन्नह चढा डॉंड़ लगौथिन्ह । एहन भगवान और बबुआन में भेदे की ? हम - खट्टर कका, भगवान क प्रभुता अनन्त छैन्ह । ख०- परन्तु यदि सत्यनारायणक कथा प्रमाण हुनक हृदय अत्यन्त संकीर्ण छैन्ह । बेचारा महजन कैं पूजा करब बिसरि गेलैक त फुसिए चोरीक तोहमति लगा कऽ सिपाही सॅं धरबा देलथिन्ह । और एहन...

ब्राह्मणभोजन / खट्टर कका कs तरंग / ( हरिमोहन झा ) / Liveankit

Image
खट्टर कका भांग घोंटैत रहथि कि हम जा कऽ कहलिऎन्ह - खट्टर कका, निमंत्रण दैत छी । खट्टर कका अत्यन्त प्रसन्न होइत बजलाह – अहा हा ! आबह, बैसह।आइ कोनो नीक लोक क मूंँह देखि उठल छलहुंँ । कथी क उपलक्ष्य में खोऎबह ? हम कहलिऎन्ह - आइ हमरा ओहि ठाम ब्राह्मणभोजन अछी । खट्टर कका बजलाह - वाह , अत्यन्त सुन्दर ! एहि देश क मर्यादा कथी में छैक से जनै छह ? हमरा मुंँह तकैत देखि खट्टर कका बजलाह - एहि देशक मर्यादा छैक ब्राह्मण भोजन में । पृथ्वी पर आन कोनो देश में ई बात नहि । एही पुण्य क प्रसादात भगवान क सभटा अवतार एही भूमि पर भेल छैन्ह । हम - परन्तु ब्राह्मण कैं भोजन करैबाक विधान किऎक ? ख० - किऎक त 'ब्राह्मणोऽस्य मुखमासीत' । हमरा लोकनि ब्रह्मा क मुंँह थि कहुंँ । मुख कैं त भोजन सॅं प्रयोजन । जे सभ हाथ-पैर छथि से सभ काज क रथु । हमरा लोकनि मुख क जे काज थिकैक - भोजन और भाषण- सैह टा क रबाक हेतु उत्पन्न भेल छी । जखन आदि पुरुष ब्रह्मे चारिटा मूंँह बौने प्रकट भेलाह, तखन हमरा लोकनि हुनक सन्तान भऽ अपना वंशक टेक कोना छोडि सकैत छी ? तैं ब्राह्मण लोकनि खैबाक हेतु सतत मुंँह बौने रहै छथि । हम - परन्तु जौं हमरा लोकनि...

मिथिला क नाग पंचामि, प्राख्यात छै सम्पूर्ण विश्व में |

Image
मिथिला मs हर इक दिन त्यौहारऐ कs रूप मनायल जैत छै। मिथिला कs ओहि त्यौहार सब मs स एगो छै नागपंचमी।नागपंचमी सम्पूर्ण मिथिला में बहुत ही धूम धाम सs मनायल जैत छै । ई त्यौहार सावन मासक पहिल सोमवाड़ी क मनाओल जैत छैथ। आही त्योहार मs लोक सुबह उठी पूरा घर का सफाई कs गोबर सs घर निप कs सुंदर बनायल जैत छै। घर मs त्यौहारक माहौल रहई छै।  माटी कs थुम्हा बना सब घर में राखाल जैत छै |  मानल जैत छै जे आही का राखाल स घरक वातावरण बढ़िया बनल रहल जैत छै। आही क।रने सब मैथिल अपना घर में साल भैर ई थुम्हा कs घर में रखैत छैथ |  आही दिन विशहारा भगवान क पूजा केल जैत छै। हिंदू धर्म मे विश्व के सम्पूर्ण चीज़ कs भगवाने मनल जैत छै।  आही पाबैन में लोक निमक पत्ता संग दही लगा कs खैत छैथ। गांव में महिला लोक पोखर में स्नान कs कुश हाथ में बानी लैट छैथ। भोजन का तौर पर आही कs दिन लोक चूड़ा, दही आ चीनी खाईत छैथ। नागपंचमी के अवसर पर कुछ जगह मेलाक आयोजन सेहू केल जायत छैथ | ओहि मेले कs कुछ भाग प्रस्तुत छैथ।  रिपोर्टर  गोविन्द कुमार चौधरी  

Ad.

Ad.
Avnija Music - Maithili Music