Posts

Showing posts with the label विद्यापति

गौरा तोर अंगना / विद्यापति

Image
  गौरा तोर अंगना। बर अजगुत देखल तोर अंगना। एक दिस बाघ सिंह करे हुलना। दोसर बरद छैन्ह सेहो बौना॥ हे गौरा तोर... कार्तिक गणपति दुई चेंगना। एक चढथि मोर एक मुसना॥ हे गौर तोर... पैंच उधार माँगे गेलौं अंगना। सम्पति मध्य देखल भांग घोटना॥ हे गौरा तोर... खेती न पथारि शिव गुजर कोना। मंगनी के आस छैन्ह बरसों दिना॥ हे गौरा तोर । भनहि विद्यापति सुनु उगना। दरिद्र हरन करू धएल सरना॥ रचना : विद्यापति  

जय-जय भै‍रवि असुर भयाउनि | विद्यापति

Image
जय-जय भै‍रवि असुर भयाउनि पशुपति भामिनी माया सहज सुमति वर दियउ गोसाउनि अनुगति गति तुअ पाया वासर रैनि सबासन शोभित चरण चन्‍द्रमणि चूड़ा कतओक दैत्‍य मारि मुख मेलल कतओ उगिलि कएल कूड़ा सामर बरन नयन अनुरंजित जलद जोग फुलकोका कट-कट विकट ओठ पुट पांडरि लिधुर फेन उठ फोंका घन-घन-घनय घुंघरू कत बाजय हन-हन कर तुअ काता विद्यापति कवि तुअ पद सेवक पुत्र बिसरू जनि माता   जय-जय भै‍रवि असुर भयाउनि पशुपति भामिनी माया सहज सुमति वर दियउ गोसाउनि अनुगति गति तुअ पाया

पिया मोर बालक हम तरूणी गे / Music Lyrics / Liveankit

Image
पिया मोर बालक हम तरूणी गे कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे पिया मोर बालक हम तरूणी गे कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे पिया लेल कोरा में चलल बज़ार पिया लेल कोरा में चलल बज़ार हटिया के लोग पूछे हटिया के लोग पूछे केला रूप तोहार नहीं मोर देवर नहीं छोटी भाय नहीं मोर देवर नहीं छोटी भाय बिधना लिखल छल बिधना लिखल छल बाल मोह हमर पिया मोर बालक हम तरूणी गे कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे पिया मोर बालक हम तरूणी गे कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे पहिरल सखी एक दछिनक चीर पहिरल सखी एक दछिनक चीर पिया के देखैत भेल पिया के देखैत भेल दगड सरीर बाट रे बटोहिया के बाट रे बटोहिया के तोहि मोर भाई हमरो बाबाजी के कहब बुझाई पिया मोर बालक हम तरूणी गे कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे पिया मोर बालक हम तरूणी गे कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे बेचता बरद गोला किनता धेनु गाय बेचता बरद गोला किनता धेनु गाय दूध पिया क दूध पिया क पोस्ता जमाई नहीं मोर बरद गोला नहीं मोर बरद गोला नहीं धेनु गाय कौने जुगुत सखि कौने जुगुत सखि पोसब जमाई पिया मोर बालक हम तरूणी गे कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे पिया मोर बालक हम तरूणी गे कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे

Ad.

Ad.
Avnija Music - Maithili Music