पिया मोर बालक हम तरूणी गे / Music Lyrics / Liveankit



पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे

पिया लेल कोरा में चलल बज़ार
पिया लेल कोरा में चलल बज़ार
हटिया के लोग पूछे
हटिया के लोग पूछे
केला रूप तोहार
नहीं मोर देवर नहीं छोटी भाय
नहीं मोर देवर नहीं छोटी भाय
बिधना लिखल छल
बिधना लिखल छल
बाल मोह हमर
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे


पहिरल सखी एक दछिनक चीर
पहिरल सखी एक दछिनक चीर
पिया के देखैत भेल
पिया के देखैत भेल दगड सरीर
बाट रे बटोहिया के
बाट रे बटोहिया के तोहि मोर भाई
हमरो बाबाजी के कहब बुझाई
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे


बेचता बरद गोला किनता धेनु गाय
बेचता बरद गोला किनता धेनु गाय
दूध पिया क
दूध पिया क पोस्ता जमाई
नहीं मोर बरद गोला
नहीं मोर बरद गोला नहीं धेनु गाय
कौने जुगुत सखि
कौने जुगुत सखि पोसब जमाई
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे

Comments

Ad.

Ad.
Avnija Music - Maithili Music

Popular posts from this blog

नृत्य के माध्यम स परंपरा के संरक्षण : झिझिया के मंत्रमुग्ध करय वला दुनिया | Advik

मिथिला के लोग बिहार दिवस के काला दिवस कियैक मानैत अछि, आबू बुझू .

दियाबाती यानी दिबाली मनेबाक मैथिली कंसेप्ट। Liveabhinash