सहरसाक गामसँ सिनेमाक रजतपटलधरि पहुँचलीह मिथिलाक बेटी संचिता यादव
गामक संचिता यादवसँ फिल्मजगतक संचिता बसुधरिपछिला शुक्र दिन साउथ फिल्म इण्डस्ट्रीजक एकटा बहुप्रतीक्षित तेलुगू सिनेमा “फर्स्ट डे फर्स्ट शो” रिलीज भेल अछि आ से भारत संगहि अमेरिकाधरि धूम मचा रहल अछि।
पिता सुरेन्द्र यादव आ माय वीणा यादवक उत्साहवर्द्धन सँ आइ संचिता बसु फिल्म जगतक एकटा मुकामधरि पहुँचबा मे सफल भ’ गेल छथि। २४ मार्च २००३ केँ सुरेन्द्र यादव आ वीणा यादवक बेटीक रूपमे जनमल संचिता नेनपनेसँ प्रतिभाशालिनी रहल छथि आ भागलपुरसँ इण्टरमीडिएट करैत सोशल मिडियापर अपन अदाकारीसँ एकटा विशाल प्रशंसकवर्ग तैयार कयलन्हि अछि। सोशल मिडियाक विभिन्न प्लेटफार्मपर मिलियनो संचिताक फैन-फालोवर छन्हि।
सहरसाक रहयवला कास्टिंग निर्देशक नवनीत झाक नजरि संचिताक प्रतिभापर गेलन्हि आ नवनीतक सहयोगसँ संचिताक प्रवेश दक्षिण भारतीय फिल्म उद्योगमे भेलन्हि आ सम्प्रति कैकटा सिनेमामे व्यस्त भ’ गेल छथि।
अपन निरन्तर अभ्यास आ प्रयाससँ संचिता सिद्ध क’ देलन्हि अछि जे मिथिलामे प्रतिभाक कमी नहि अछि, बस उचित अवसरक तलाश छन्हि एहिठामक प्रतिभाकेँ। निश्चित रूपसँ संचिताकेँ एहिठामधरि पहुँचाबयमे अनुभवी सिनेकर्मी नवनीत झाक योगदान सेहो महत्वपूर्ण रहल अछि। आब संचिता रजतपटलक नायिका बनि अपन मातृभूमिक मान बढ़बैत रहतीह।
Source : ilovemithila



Comments
Post a Comment