टीवी स्क्रीन पर धूम मचबैत मैथिल ललना सृति झा | Liveankit

टीवी स्क्रीन पर धूम मचबैत मैथिल ललना सृति झा टीवी धारावाहिक सँ स्नेह राखयवला / वाली लोक लेल ई चेहरा सर्वथा परिचित भ’ गेल छथि । मूलत: बेगुसराई जिलाक डरहार गामक रहनिहारि सृति झाक जन्म 26 फरवरी 1986 केँ भेलनि । हिनक माता पिता आब काठमांडू वासी भ’ गेल छथि । पिता मिथिलेश झा बहुत दिन धरि नेपाल मैथिल समाजक अध्यक्ष रहि चुकल छथि आ फर्स्ट फ्लाइट कोरियर नेपालक निदेशक छथि आ हिनक बहिन मीनाक्षी झा भारतीय अंग्रेजी मिडियाक सुपरिचित नाम ।

दिल्ली विश्वविद्यालय अन्तर्गत व्यंकटेश्वर कालेजक छात्रा रहबा क्रम मे सृतिक जुड़ाव रंगमंच सँ भेलनि ।

अनेको नाटक मे अपन अभिनयक छाप छोड़ैत मुम्बई पहुँचलीह आ धारावाहिक रक्तसम्बन्ध मे हिनक मूकबधिर अभिनयक खूब प्रशंसा भेल आ टीवी धारावाहिक सभक द्वारि हिनका लेल खुलि गेलन्हि ।

सौभाग्यवती भव: धारावाहिक मे मुख्य चरित्र जान्हवी केँ जीवन्त करैत सृति झा छोटका परदाक चर्चित सेलिब्रिटी भ’ गेलीह, तँ कुमकुम भाग्य मे मुख्य भूमिका प्रज्ञा’क अभिनय लेल हिनका सर्वश्रेष्ठ अभिनयक अवार्ड भेटलनि ।

धूम मचा लो धूम मे सेहो खूब धूम मचौलीह आ आब एकटा व्यस्ततम अभिनेत्री छथि । मातृभाषा मैथिली सँ आत्मीय स्नेह राखैत छथि । बतबैत चली जे दहेज मुक्त मिथिला केर मुम्बई ईकाई द्वारा नवीन वी मिश्राक निर्देशन मे बनल दहेज वृतचित्र मे सृति अपन उपस्थिति निशुल्क दैत भाषा प्रति अपन सहृदयता केँ जाहिर क’ चुकल छथि । एहेन मैथिल ललना पर मिथिला समाज गौरवान्वित अछि ।

                 

एखन एतबे… अगिला पोस्ट मे कोनो एहने मैथिल ललना केर जनतब संग हाजिर होयब…. एखन विदा लैत छी…

नमस्कार..

हम

अंकित कुमार रॉय  

Comments

Ad.

Ad.
Avnija Music - Maithili Music

Popular posts from this blog

नृत्य के माध्यम स परंपरा के संरक्षण : झिझिया के मंत्रमुग्ध करय वला दुनिया | Advik

जय-जय भै‍रवि असुर भयाउनि | विद्यापति

प्राचीन आदर्श / खट्टर ककाक तरंग / हरिमोहन झा